Saturday, April 6, 2013

माँ के भजन



देखय लेल मैया के रूप सुहावन ! 
मंदिर में लागल कतार यौ !
गुंजई छै जय जयकार यौ !
गामे चलि आऊ यौ "आनंद" जी !
लागल माता के दरबार यौ !!
आब गामे चलि आऊ यौ आनंद जी! 
लागल माँ के दरबार यौ !! 
कहने रही जे चैत मे एमरी हम घरे आयम !
खोइचा भरम मैया के चुनरी माई के चढायम !!
एहि लेल केलौं नोबाइल यौ सजना !!
पाड़े लेल अहाँ के धियान यौ !
समय नई करू जियान यौ !!
गामे चलि आऊ यौ "राहुल" जी !
जायम संगे भगबत्ती थान यौ !!
शेर पर सवार मैया के लेबई हम एमरी मनाई !
मंग्बाई समांग बौआ के अंचरा आपन फैलाई !!
घर पर बैठेबई कलशा एहि बेर !
मोन मे अछि विचार यौ !
पुरहित के देलियन हकार यौ !!
संगे अहूँ चलि आयम यौ "मुकेश" जी !
सजल अछि माँ के दरबार यौ !!

रचनाकार --- Mukesh Panjiyar






















No comments:

Post a Comment